Friday, December 24, 2010

भटसिमर एक परिचय

सुन्दर सुभुमि मिथिला मे, अछि एकटा सुन्दर सम्पन्न गाम
क़ुमारिल भट्ट’क डीह कहबैछ, भटसिमर छै जक्कर नाम
उत्तर सुगौना, दक्षिण कोईलख, पूब में गंगद्वार आ मैलाम
सात टोल में बांटल एकर, पछिम में बडहारा-लडुगाम
क़ुमारिल भट्टक डीह कह्बैछ, भटसिमर छै जक्कर नाम

बेर-विपत्ति स रक्षा करैथ, जतय सक्षात् निलमणि नाथ
तीनु दुर्गाक आंचर तर में, रोज खाईथ पान, मांछ, आ मखान
कलह-अशांति के गुरकाबथि, सलहेस गहबर स' बुधन ठाकुरक बथान
क़ुमारिल भट्टक डीह कह्बैछ, भटसिमर छै जक्कर नाम
क़ुमारिल भट्टक डीह कह्बैछ..............